भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

क्वांटम जंप / पंकज कुमार

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:34, 29 मई 2020 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=पंकज कुमार |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

दोग-दागमे बैसि अपन गोटी लाल करबाक
ब्योंतमे लागल भावुकताक खेलमे माहिर
सड़ल-गलल लहासक अंतिम संस्कार करबाक
जे जिम्मा लेने छी अहाँ

तकरा पूर्ण करबा लेल लेमय पड़त अहाँकेँ
क्षणविशेष में तीव्र संवेगक सूक्ष्म भाववहनक
शाब्दिक अक्षमता केँ बुझैत
एकदम वास्तविक लय आ नवीन शिल्प

जाहिमे होयबाक चाही
कथ्यक व्यापकता
दृष्टिक उन्मुक्तता
समाजिक आ व्यक्तिगत रुपसँ
आधुनिकता सँ सम्पन्न भावबोधक संग
मनुक्खताक औकालति करैत नव बिम्ब-प्रतीक

तखनहि जुड़ि सकत अहाँक कवितासँ
हमरा भीतरक मनुक्ख
जकरामे एखनहुँ बाँचल अछि
निधोक बजबाक हुब्बा

सहजहि चीन्हि सकैत अछि ओ ओहि झूठकेँ
जे सत्यक चद्दरि लपेटने गंगा नहेबाक
यत्न क' रहलैक अछि आइ धरि।