जीव-जंतुक भार कतए?
धरती पर
जीव सभक घर-द्वार कतए?
धरती पर
अन्न-पानिक भंडार कतए?
धरती पर
हरियर दूभिसँ शृंगार कतए?
धरती पर
गाछ-बिरिछक आधार कतए?
धरती पर
फल-फूलक अंबार कतए?
धरती पर
पानिसँ भरल धार कतए?
धरती पर
गरमी-बरखा-जाड़ कतए?
धरती पर
एहेन सुन्दर संसार कतए?
धरती पर।