भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अमृता कहलैन / दीपा मिश्रा

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 16:27, 19 अक्टूबर 2024 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

प्रेमक नदीमे नाव पर बैसल
देखाएल छलीह हमरा एक दिन अमृता
हम हुनक चारूकात तकलौं
मुदा इमरोज़ कतहु नहि छलाह

अपना दिस टकटकी लगा तकैत देखि
अमृता हमरासँ पुछलैन
"की अछि मोनमे ? जे किछु अछि से पूछि लिए
बेसी बातक संग्रह अपना भीतर क' राखब बतहपनी कहाओल जाइए"

"अहाँ असकर किएक छी? प्रीतम सिंह,इमरोज,साहिर ई सब कतय गेलैथ?
किओ त' संग अहाँक रहितैथ?"

अमृता दूर नदीक कछार दिस इशारा केलैन
ओतय थोड़ेक पुरुष बैसिके तास खेला रहल छल
"ओ देखैत छी ने? भीड़ पुरुखक?"
हम कहलियैन, "हँ
बड लोक छै ओतय
सब हँसि बाजि,खा पी रहल,
तास ख़ला रहल"

"बूझल अछि ओ एतेक प्रसन्न किएक अछि?"
हम नै में मुड़ी हिलेलौं
अमृता कहलैन,"ओ सब किछुए काल पूर्व एहि नदीक तट पर एकटा स्त्रीकेँ मृत देहकेँ डाहिके बैसल उत्सव मना रहल अछि"

हमर देह सिहरी गेल
"आब बुझलौं हम असकर किएक छी?"
कहैत अमृता हमर माथ पर हाथ राखि
कतौ बिला गेलीह