भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
गामक लोक / बुद्धिनाथ मिश्र
Kavita Kosh से
अनिल जनविजय (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:19, 15 अक्टूबर 2010 का अवतरण (नया पृष्ठ: {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=बुद्धिनाथ मिश्र |संग्रह= }} Category: मैथिली भाषा [[Category…)
बैरङ चिट्ठी जकाँ फिरैए
गामक लोक ।
कस्तूरी मृग जकाँ मरैए
गामक लोक ।
महानगर अपराध करय
बुधियार बनल
आ जरिमाना तकर
भरैए गामक लोक ।
दऽ सर्वस्व जियाबैए
न्यायालय कें
कोना न कहबै
भने लड़ैए गामक लोक ।
सभ इजोत भऽ गेल निपत्ता
साँझहि में
माटिक डिबिया जकाँ
बरैए गामक लोक ।
घरक लाज नाङट भऽ
विज्ञापन बनि गेल
टूटल धनुखा तर
नमरैए गामक लोक ।
मंदिर केर देवांश
पुजारी लूटि रहल
धूजा बनि-बनि कें
फहरैए गामक लोक ।