भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

चैतावरि ४ / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

उत्सव पांचम रंग हो रामा अयोध्या नगर मे
हरिपद झुनुर रतन रत पैजन
श्यामल भाल तरंग हो रामा अयोध्या नगर मे
कौशिल्या कोखिक आहि फलित भेल
तेसर चैत सुत संग हो रामा अयोध्या नगर मे
कैकेयी भाग सुमित्राक सम्बल
दशरथ अजर अनंग हो रामा अयोध्या नगर मे
अन्नपानि टालक टाल लुटाबथि
तीनू माय बैसलि पलंग हो रामा अयोध्या नगर मे
चारू भाय दुलकैत महल सँ बाहर
भेल नृप आसन भंग हो रामा अयोध्या नगर मे
सैनिक चाकर प्राण सिहोरथि
तकैत तकैत सभ तंग हो रामा अयोध्या नगर मे
क्षणहि मे बालक नाद ठहक्का
नेना संग कमलक जंग हो रामा फूलक परिसर मे