नाम-स्मरण: तर्पण-अर्पण / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’
जागल अछि स्मृति-मन्दिरमे किछु प्रतिमा श्रद्धा स्रोत
आ-शैशब जनि ममता स्नेहेँ जीवन दीप इजोत
वंश हंस मणि गुण पति राखल सोध अवध दरबार
रामगुलाम अयोध्या श्री केर विस्तृत कुल परिवार
दामोदर गुण गौरव राजित महावीर बड़ नाम
कृष्णचन्द्र पद राधाकान्त क कला सुरभि भरि-गान
काली चरण चारु धरि डेबल जयानन्द द्विज दार
रामेश्वर भुवनेश्वर तेजोनारायण अवतार
राम जानकी अनुग्रहेँ मुनि योगीन्द्रहुक प्रमोद
नामदेव आनन्द नृसिंह गोपाल वेणि अनुमोद
विजयि धीर सुर भूषण राघव विजय बन्धुता मूर्ति
हेमकान्त गोपीकान्तक नहि एखनहुँ स्थानक पूर्ति
युग पूर्वहु एखनहु अमोल भोलाबाबुक स्मृति मोल
लक्ष्मीकान्त बन्धु जन पूर्व निरेषण मिसरी बोल
अनतहु अपन बनल नित रहला मान्य हरीन्द्र विशेष
नंदी योगेश्वर रामेश्वर शिव - ईश्वरहु अशेष
आनहु जे वरिष्ठ जन स्नेहाशिष तनि सुमिरि अतंद्र
पुनि कनिष्ठ नारायण मदन उमेश शचीन्द्र भवेन्द्र
--- ---
पूर्व अपूर्व प्रमुख परिवार समाजक पुरुष प्रकाम
महावीर युग रामरूप भगिरथ पथ शीतल गाम
विदित विहारी राम नेवाज देव बल शिवहु गुलाम
माथुर श्रीधर वल्लभ सुन्दर राम रूप अभिराम
रूप अनूप, बहादुर दुबरहु पीताम्बर यदुवंश
वर काली प्रसाद सुर-ईशहु शरण राम जनि अंश
कृष्णदत्त बुध अवधलाल पाठक यमुना कत विज्ञ
रामशरण बबुआ नारायण जनार्दनहु वेदज्ञ
भोनु उमेदि फतूरी फुच्ची योगि जनक दुहु मेल
संस्कृत प्राकृत नाम सुनल अछि कते मधुर बगमेल
सुन्दर सोनेलाल पुजारी अबध मनोहर पूर्व
कैलू दरबारी गोनौर बाबाजी स्थलक अपूर्व
रमता योगी गंगा राम अचार्यहु सचर सहाय
सिद्धो बुद्धो युद्ध प्रसिद्धो भिल्लो फत्तो राय
नाट्यकला पुनि तालबला बल महादेव वसुदेव
राम क लीला कला दक्ष कत व्यक्ति सतेज सुसेव
मङनीराम जनक लक्ष्मी बाबू प्रसाद पुनि भीम
चुन्नी वासुदेव मकसूदन पहलवान बल - सीम