भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
मातृवंदना / कालीकान्त झा ‘बूच’
Kavita Kosh से
जननि हय, जीवन हमर कठोर
अध्यावधि सुख-शांति न भेटल,
पयलहुँ विपति अघोर
जानी नहि वात्सल्य-पाश
अज्ञात सिनेहक कोर
लागल नहि ऑचर क छाँह
नहि सटल गाल पर ठोर
आनन पर अविराम रूदन
मन पर चिंता घनघोर
कतऽ हमर विश्राम-राति हे,
कतऽ विनोदी भोर?
अपने शिव शव वनल शिवे,
तोरो छह लगल बकोर
तोहर दया अकाशी चंदा,
हम धरती क चकोर