भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

स्मृति-दो / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

बिनु बजायल पाहुन जकाँ
आबि जाइए
अहाँक स्मृति
फेर
भरि-भरि राति
नहि अबइए निन्न
अहाँक संग
बितायल
एक-एकटा पल
जीवन्त होमऽ लगइए
हम ताकऽ लगैत छी अहाँकें
अहाँक स्मृति ताकऽ लगइए हमरा।