भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हमर कविता / गंग नहौन / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज



हमर कविता
बाबाक लाठी
बाबीक गंगाजल
बाबूक अखबार
आ पत्नीक कूकर बनि जाए।

हमर कविता
ऋतुमे बसन्त
चिड़ैमे मयूर
रंगमे हरियर
आ आकाश मे इन्द्रधनुष बनि जाए।

हमर कविता
नवयौवनाक हृदय
युवाक लोगगीत

सेनाक आत्मबल
आ विधवाक सहारा बनि जाए।