भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

उनटा सीधा शब्द सजाउ / एस. मनोज

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

उलटा सीधा शब्द सजाउ
शब्दक जोड़ू ज्ञान बढ़ाउ

राग-द्वेष आ क्षुद्र-महान
रक्षक -भक्षक गौण- प्रधान

जन्म -मृत्यु आ नर- नारी
जीवन -मरण हल्लुक- भारी

सुधा -गरल सुगम- दुर्गम
शीत -उष्ण स्थावर -जंगम

मिलन- विरह आ जड़- चेतन
पाप - पुण्य आ खलु- सज्जन

कृपा - कोप आ जाग्रत- सुप्त
निंदा - स्तुति प्रकाशित- गुप्त