भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"कालक नियन्ता आ’ चाह / धीरेन्द्र" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=धीरेन्द्र |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMaithiliR...' के साथ नया पन्ना बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

22:46, 2 जून 2013 के समय का अवतरण

कालक नियन्ता, समयक थर्मससँ, वर्षक एक कप चाह
उझिलिकें पीबि लेलक आ’ गम्भीर भए बैसि रहल।
सोचैत छी हम जे ई चाह जे हम बनौने छलहुँ ओकरा केहेन लगलै’ ?
केहेन लगलै ई चाह ओकरा ? दूध, लीकर, चीनी सभ ठीक छल ने ??
मुदा ओ गम्भीर भए बैसल अछि आ हम ओकर मुँह ताकि रहल छी !
आ ओ हमर कड़ियल बॉस जेकाँ गुम्म भेल बैसल अछि।
हम की करू! दोसर कपक लेल पानि चढ़ा देल अछि!!