भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

चानक चोरी / नरेश कुमार विकल

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:27, 22 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नरेश कुमार विकल |संग्रह=अरिपन / नर...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

कोशी कानथि करूण कोर सँ
कमला कानथि भोरें सँ
चानक चोर बुझा हमरा कि-
हेतै इजोरिया तोरे सँ ?

आंगन में तुलसी चउराक
दीप मिझाएल ककरा सँ ?
मन्दिर सून, सून चउबटिया
फूल सुखाएल ककरा सँ ?

ककरा बिना वसन्त ने आओत
कानत कोइली नोरे सँ
चानक चोर बुझा हमरा कि-
हेतै इजोरिया तोरे सँ ?

किए कुमुदिनी मुँह नुकौने
कमल नुकौने पोखरि मे
आगि लगौलें आँचर मे
आ‘ धरतीक हरियर चुनरि मे।

मायक ममता आओर सेहन्ताक
कोर भरल अंगोरे सँ।
चानक चोर बुझा हमरा कि-
हेतै इजोरिया तोरे सँ ?

चानक शव कें बेचि-बेचि
नेना पर कफन ओढ़ौने छें
भरल वसन्त मे आगि लगाकऽ
श्मशान बनौने छें

चान-सुरूज कें केओ नहि रोकत
चमकि रहल छथि ओरे सँ।
चानक चोर बुझा हमरा कि-
हेतै इजोरिया तोरे सँ ?