भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

परितोष / राजकमल चौधरी

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

झरल सिंगरहारक फूले सन पीअर मुस्कान करुण
हाँसू लग छटपटाइत माछे सन आँखि अरुण
ने एक्को ठाप नोर, ने एक्कोटा आखर-उपराग
...मात्र धहधह करइत सीँथक सहयोग
सुनू, एतबाटा गप्प हमर, कएने रहु विश्वास
अहीं शशि छी, जावत अछि हृदय हमर आकाश