भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"मत्स्यगर्भा स्वपन / प्रवीण काश्‍यप" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=प्रवीण काश्‍यप |संग्रह=विषदंती व...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

12:29, 4 अप्रैल 2015 के समय का अवतरण

काल्हि नहि आयल निन्न
नहि भेट भेल अहाँ सँ!
अहींक स्मरण में उरल निन्‍न,
बहा ल गेल अहाँ कें
हमर पहुँच सँ बेस दूर-दूर!

काल्हि अहाँ नहि फँसि सकलहुँ
हमर स्वपनक बनायल जाल में!
होइ छैक कहियो-काल
चतुर मलाह हारै छै!
अहाँ हमर सोन-मछरी
नहि अयलहुँ हमर बूनल जालमे।

काल्हि हम नहि बना सकलहुँ
अपन विचित्र, विचार सँ,
काल्पनिक उहापोहक व्यसन सँ
कोनो नान्हियो टा घेराबा
जाहि में मात्र अहीं टा फँसी!

काल्हि नहि भेल निन्न
विरहक वेदना विदा कयलक निन्न!
छटपटी लगले रहल सगर राति
काल्हि नहि भेटल संपर्क सूत्रक छोर
जकर दोसर कात मात्र अहींटा रही।