भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

10 हाइकू / कुसुम ठाकुर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

1.
हाइकू छैक
विधा सरल तैयो
चि ज्यों पाबि।

2.
हमरा लेल
गर्वक गप्प बस
हमहुँ जानि।

3.
नहि‍ बुझै छी
ई विधाक लिखब
कोन आखर।

4.
सलिल जीक
ई मार्ग प्रदर्शन
भेटल जानी।

5.
मोन प्रसन्न
भेटल नव विधा
छी तैयो शिष्या।

6.
डेग बढ़ल
सोचि नहि‍ छोड़ब
ज्यों दी आशीष।

7.
आस बनल
अछि अहाँक अम्बे
हम टूगर।

8.
ध्यान धरब
हम केना आ नहि
सूझे तइयो।

9.

पाप बहुत
हम कएने छी हे
अहिंक धीया।

10.
जाएब कतए
आब नहि‍ सूझए
करू उद्धार।