भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

माइ हे हमरहु जँ पहुँ तेजताह / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
Mani Gupta (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 20:02, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= बिय...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

माइ हे हमरहु जँ पहुँ तेजताह, फल बुझताह
माइ हे बान्हि देबनि बनिसार, अधीन भय रहताह
माइ हे चान सुरूज जकाँ उगताह, उगि झपताह
माइ हे नैन जोड़ल सिनेह, फलक नहि छोड़ताह
माइ हे नाव डोरी जकाँ घुमताह, घुमि अओताह
माइ हे मुकरी देबनि ऐंठि, देहरि धेने रहताह
माइ हे भनहि विद्यापति गाओल, फल पाओल
माइ हे गौरी केँ बढ़नु अहिबात, सुन्दर वर पाओल