भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आबि आउ / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


हमरा
उमेद अछि
अहाँ भेटब
कोनो ने कोनो
मोड़ पर
अबस्से।

अहाँक एक दरसन
हमर
मन आ तनकें
शुद्ध
आ टटका बना दइए।

जहिना कतोक अन्हरिया रातिक बाद
आबि जाइए इजोरिया
ओहिना अहूँ
आबि जाउ
आब
कनियो देरी नहि करू
कालक कोन भरोस।