भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
आहे सखि आहे सखि / विद्यापति
Kavita Kosh से
आहे सखि आहे सखि लय जनि जाह !
हम अति बालिक आकुल नाह !
गोट-गोट सखि सब गेलि बहराय !
ब केबाड पहु देलन्हि लगाय !
ताहि अवसर कर धयलनि कंत !
चीर सम्हारइत जिब भेल अंत !
नहि नहि करिअ नयन ढर नीर !
कांच कमल भमरा झिकझोर !
जइसे डगमग नलि निक नीर !
तइसे डगमग धनिक सरीर !
भन विद्यापति सुनु कविराज !
आगि जारि पुनि आमिक लाज !