भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कठिन अछि ने कम ई हाटो उसारब। / धीरेन्द्र

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

कठिन अछि ने कम ई हाटो उसारब।
पसारल ओना लऽ बहुत स्वप्न मनमे,
व्यष्टिक जो चिन्तन बनल धन समष्टिक।
चलल हाट अछि ई आ बिक्री ने कम अछि
नामी ने कम ई खिरल नाम सागरो।
नामे एकर भेल जेना आइ दुश्मन,
अकारण बनल शत्रु एकरा बिगाड़य।
हटाबय जँ चाही मानय ने लोके,
सिनेहक ई फानी बनल अछि समस्या।
बनायबकोनो वस्तु ओना नहि कठिन कम,
कठिन अछि ने कम ई रंगलकें धोखारब।
कठिन अछि ने कम ई हाटो उसारब।