भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कहने रहथि मन्त्रीजी / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हुनका पुछलियनि,
कहल जाय अपने केँ
जे किछु मनोरथ छल
एखनहु धरि पुर भेल
आ की किछु बाँकी अछि?
बजला-
मनुक्खक तँ तृष्णा अनन्त छैक,
ककर पूर भेल छै जे हमरे सब
पूर होयत?
बात रहल सन्तोषक
सैह करऽ पड़ैत छैक।
तैयो आकांक्षा बस एक मात्र मनमे अछि।
इच्छा अछि-
मुइला पर मृत्युक समाचार
रेडिया वा टी. भी. पर की देतैक
सूनि लितहुँ
देखि लितहुँ बौआकेँ
हमरा मुइलाक बाद
कोन-कोन रूपेँ
के मदित की करैत छथिन
सान्त्वनाक बदलामे।
सोफा पर ओठङल सन,
चिन्तामे डूबल सन,
आँखि दुनू मुनने
ई कहने रहथि मन्त्री जी।