भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
ग़ज़ल / नरेश कुमार विकल
Kavita Kosh से
संग रहिकऽ ने अहाँ बजै छी किऐ ?
प्राण वीणा कें तार तोड़ै छी किऐ ?
चान कें हाथ सँ झाँपि सकतै कोना ?
कोनो देखय ने ककरो ई हेतै कोना ?
फूल सन रूप मानी जँ अहाँ अपन-
तऽ कली सन ने सदिखन हँसै छी किऐ ?
मोन रांगल अहाँ जे अपन प्रीत सँ।
छूटि सकतै कोना ई विरह-गीत सँ ?
सांझ एखनो ढरल छै हमर मोन कें
बनिकऽ बाती ने अहाँ जरै छी किऐ ?
पयर जखने रूकल आस आगू बढ़ल
आँखि कें कोर सँ नोर किऐ बहल
लाल मंहफा में पीयर ओहार लगल
हम मनाबी ने अहाँ रूसै छी किऐ ?