भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

देशक भविष्य / दीप नारायण

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

गेटक - गेट
किताप आनि
इंग्लिश मिडियमक
कहैत छथि पिता
बौआ केँ डॉक्टरर बनेबाक अछि
आ माय इंजीनियर!

सम्हारति पीठ पर बस्ता
मुहचूरू भेल
विद्यालयक फील्ड मे खहरति
नेना केँ देख

हमरा होइए
देशक भविष्य केँ एखन
कनेक आओर खेलबाक चाही
माँटि मे।