भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

निघेस / दीप नारायण

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

साँझ परिते अहाँ
भोरका अखबार जँका
रहैत छी निःशब्द
चौपेतल

जेना-जेना
बितैत जाइत अछि राति
उधेसल जाइत छी
अखबारे जँका

भोर होइते
सँझुका अखबार जँका
भ' जाइत छी अहाँ निघेस।