भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

पिता सुतला निश्चिन्त आमा रोबइ छथि जनकपुर मे / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

पिता सुतला निश्चिन्त आमा रोबइ छथि जनकपुर मे
सीता रहय जोग ने छथि आब
सीता रहली कुमारी जनकपुर मे
पिता उठला चहाय चललाह वर खोजय जाथि जनकपुर मे
पिता घूरि फीरि अबथिन वर कतहु ने पार
माता खसली झमाइ जनकपुर मे
जनु आमा करू विरोग मन करू उदार जनकपुर मे
छथिन दशरथ के लाल अयोध्या मे
रामचन्द्र छथिन कुमार अयोध्या मे
चीठिया लिखाय बाबा हुनिके पठाय दिअयैन
हजमा के संग लगाय अयोध्यामे