भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

मुदित लेलनि दहि चीनी / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

मुदित लेलनि दहि चीनी
करू मधुपर्क ललन जी
भेटल फरके एकर गिन्नी
करू मधुपर्क ललन जी
फेरो ने आओत ई दिन कहियो
सासुर मे करू मधुपर्क
करू मधुपर्क ललन जी
माय अहाँक दूध कहियो ने पौरथि
मिथिला मे करू मधुपर्क
करू मधुपर्क ललन जी
सरहोजि सारि बीच मुसुकनि मनमा
जुनि करू लाज-विचार
करू मधुपर्क ललन जी