भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

युग चक्र / नरेश कुमार विकल

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हट्ठा मे हरबाह झुकैये
हाथ मे धयने हऽर यौ।

कोना कें बाँचत लाजई तनकें
कोना कें जाएब घऽर यौ।
कोना कें भेंटत रोजी-रोटी
कोना कें कपड़ा-घऽर यौ।

कुसुमित कानन कुंज क्लेशक
छै कयने श्रृंगार यौ
चान इजोरिया बाँटि रहल छै
मुदा ने थिक उपहार यौ।

आइ पलासक पल्लव पल-पल
बदलै रूप-अनुप यौ
सिंगरहार श्रृंगार सजौने
आँखि मे अश्रुक धार यौ।

कोना जानकी जनकक खुट्टा-
मे बान्हल रहती मुंह चुरू
दशरथ रामक मोल करै छथि
माँगै छथि कै-कै हजार यौ।

चासो भले उदास रौद सँ
परती भेल पाथर सन बज्जर
गंगाजल मे घोरल विष छै
यमुना कें फुफकार यौ।