भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

वर्षा गीत / नरेश कुमार विकल

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

घर आंगन मे नाचै छै
मेघ छमा छम।

घुरि-घुरि-बदरा हमरा डराबय
पुरिबा-पछबाकें संग
मोन मस्त भऽ झूमि उठैये
जेना पीबने भंग

अन्हरिया मे चान जकाँ
चमकै चमा चम।

पात-पात मोती ओंघरायल
भरल चारू पोर
चूबि रहल छप्पर सँ बुन्नी
विरहिणि आँखि सँ नोर
डीह-डाबर मे झिंगुर
बजाबै सरगम।

कनियें कनखी मारै कुमुदिनी
हंसय कमल केर फूल
युवतीगण सभ हहरि रहलि अछि
कयलनि विधाता भूल

हीना कें सेंटो करैछै
गमा गम।