Last modified on 18 अगस्त 2015, at 14:19

अगहन - १ / ऋतु-प्रिया / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

अगहनक अति सुखद सुन्दर मास

बाध मे लहलह करइ छल
धनपतिक सौभाग्य अविकल
छल जनिक मधु-सिक्त कोमल
ओष्ठ, मुखरित हास
अगहन अति सुखद मास

किल किल कय हँसि रहलि छलि
मधर मिहिरक माँझ निश्चित
चंचला श्री
शान्त सूतलि कोर मे वसुधाक
नील-पट पर खचित हीरा
चन्द्रिका बरख करइ छलि सतत मानु सुधाक

डारि पर हेमन्त झूलय
सभक घर-घर पवन बूलय
हाथ लय मरहीक मौनी
हँसय निर्धन बाल

जे बितौलक राति दिन सहि
अति दुखद कातिक सृदश
ओ काल अति विकराल
तकर जीवन मे मुखर अछि हास
अगहनक अति सुखद सुन्दर मास