भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अदला-बदली / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

नेनपनमे
खेल-खेलमे
कखन
हमरा मोनमे पैसि गेलियै अहाँ
कखन
हमर मोनक
सादा कागतकें
देलियै रंगि
कखन
भेलै
मोनकें
अदाला-बदली
पता एतेक कालक बाद चललै।

मोन हमर
मयूर भऽ गेलै।