भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अर्जिनामा / दीप नारायण

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मी लॉर्ड!
गीता पर हाथ राखि क' कहैत छी
हम जे कहब सुप्पत कहब

आइ फेर अजीब तरहक
घिघिएनाइ केँ स्वर सुनायल अछि
हमरा लाइब्रेरी सँ
फेर शब्दकोश मे
एकटा शब्द केँ गरदनि मोकि
क' देने छैक हत्या आ
कतेक भेल अछि खूने-खुनाम
तोड़ि देने छैक पैर-हाथ कतेकोक
मुह, कान, नाक, आँखि, कपार
भसकल छैक

चौक-चौराहा, बाट-घाट,
मन्दिर-मस्जिद
मॉल हो वा सिनेमाघर
रेलवे स्टेशन वा हाट-बाजार
शब्दक संग कयल जाइत अछि बलत्कार

अर्थक अनर्थ भ' रहल अछि
मी लॉर्ड!

ताधरि एहि शब्दक अर्थ देख लेल जाउ हजूर
लॉर्ड माने भगवान कहैत अछि डिक्सनरी
कोनो मनुख केँ भगवान सम्बोधित करब
कतेक उचित अछि ?
कि ठीक-ठीक मेल खा रहल अछि एकर अर्थ शब्दकोश सँ ?

हत्या पर हत्या भ' रहल अछि शब्द केँ
एकटा नमहर असमसान हयबाक
ओरिआओन मे अछि शब्दकोश
आइ धरि एकहुँटा केश दर्ज नहि भेलैक
शब्दक पक्ष मे
नहि भेलैक तैयार कोइ दैक लेल गवाही
कान सँ ठोकराइत अश्लील ध्वनि हमरा
निन्न सँ जगा दैत अछि बेर-बेर

शब्द ककरो बपौती नहि अछि मी लॉर्ड !
जे, जकरा जेना मन हेतैक
तेना खेलेतैक शब्दक जीवन सँ

हमर याचिका दर्ज कयल जाउ
हमर न्यायक गुहारि पर विचार कयल जाउ
मी लॉर्ड!
हम कविता सुनब' नहि एलहुँ अछि
हमरा केश दर्ज करेबाक अछि
अपन पीढ़ी बचेबाक अछि हमरा।