Last modified on 27 अक्टूबर 2019, at 00:50

अस्तित्व बेचिकऽ अपन सभ घर सजा लियऽ / बाबा बैद्यनाथ झा

अस्तित्व बेचिकऽ अपन सभ घर सजा लियऽ
टी.वी. आ फ्रीज कीनि रेडियो बजा लियऽ

कहुना हो हँसोथू दुहु हाथसँ रुपैया
सभकिछु बिसरि विलासी-जिनगीक मजा लियऽ

खान्दाकेर प्रतिष्ठा अक्षुण्ण जे बचल छल
किछु स्वार्थकेर खातिर तकरा भजा लियऽ

अपन संस्कृतिकेँ अहाँ छोड़ू आ लात मारू
पाश्चात्य-सभ्यतामे डिस्कोक मजा लियऽ

अपनेक स्वरूप असली क्यो जानि ने सकैए
बनि पूज्य एहि जगमे सभस पुजा लियऽ

कहियो जँ मोन पड़य अप्पन अतीत जीवन
बस आँखि मूनि दूनू कनि´े लजा लियऽ