भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अहिपन / राजकमल चौधरी

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हिपनमे नहि लिखू फूल पात-लता-चक्र
हे स्वप्न-संभवा कामिनी,
आब नहि घोरू सिनूर आ उज्जर पिठार!
जखन पूर्णिमेक साँझमे
चन्द्रमा भ’ गेल छथि पीयर आ बक्र
आब नहि फोलिक’ राखू
अप्पन मोनक दुआर!

हे स्वप्न-संभवा कामिनी,
आब एहि घर-आङनमे अनागतक प्रतीक्षा
जुनि करू, जुनि करू...
अहिपनक फूल-पात-लता बनि जायत
गहुमन साप,
कोनो देवता नहि क’ सकताह अहाँक प्राण-रक्षा
पावनिक राति बीति जायत पूजा-विहीन
परिणय-विहीन!

(मिथिला मिहिर: 5.12.65)