Last modified on 3 जनवरी 2018, at 19:06

आइ कह कS न अएलन तs हम की करू / भावना

आइ कह क∙ न अएलन तs हम की करू
न ऊ वादा निभएलन तs हम की करू...

हम त लिखेला कहली जाइते पाती
हुनका छुट्टी न मिलल तs हम की करू...

आइ सावन-भादों आँख से झर रहल
ओइमे फागुन न लएलन तs हम की करू...

आइ सब कुछ राजनीति के रंग में रंगल
गिरगिट जईसन बद∙ललन तs हम की करू...

आइ फगुआ के दिनों हए बीत रहल
ऊ खाएल किरिया के तोरलन तs हम की करू...