Last modified on 1 जुलाई 2014, at 15:53

आउ-आउ साजन आजु मोर अंगना / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आउ-आउ साजन आजु मोर अंगना
खीर परोसल धार, भोजन कऽ लिअ ना
सासु जे ठाढ़ छथि, औंठी नेने हाथ छथि
उठि ने सकब अहां, भोजन कऽ लिअ ना
ससुर जे ठाढ़ छथि, साइकिल नेने हाथ अछि
उठि ने सकब अहां, भोजन कऽ लिअ ना