भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आधुनिक स्त्रीगण १ / कामिनी कामायनी

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

सगरि ओ चलैत
निहारैत खेत, पथार, मचान
आँकैत अपन बल
झुकौने नहि धड़
तकैत सीधा
चौकन्ना आँखि
स्थिर मुखमंडल
जाइत अछि स्कूल
खेलाइत अछि
डोला पाती गोटरस कबड्डी खो-खो
टेनिस बैडमिंटन
आबै छै जोड़ऽ हिसाब
पढ़ै छै विज्ञान
आब नै ओ छै अज्ञान।