रहे लोगरहित इ दियर, मुदा हए गाछ-बिरीछ।
पिप्पर, ताल, तमाल बीच, खड़ा इ महुआ सिरिस॥21॥
हेला, बेला, किंशुक, कदम्म, खरा हए जइसन ताड़।
शमी, अशोक, सीताफल, जामुन जौर पलाश॥22॥
रहे खूब घौन्ज-मौन्ज उ, जङलो खूब अहगर।
चारो ओरि से घेराएल, गङा, सन इ चकरगर॥23॥
धइला-के-धइला दारू पिलक, घोड़ा-हाथि दुन्नो इ।
डार्ह-गाछ के ममोरलक्, आएल बन पतझड़ो इ॥24॥
केरा-उँक्खी एक्को न बच्चल, मचएलक इ हरहोर।
उतरल जेन्ना गीध सऽ, उ मुर्दा खएलक जोर॥25॥
खाकऽ सैनिक ओङराएल, जेन्ना चान अम्बर पर।
सुरुज उगइते युद्धो के, बज्जत नगारा कसकऽ॥26॥
बैशाली न वार करत, बचाब रणनीति हए एक्कर।
देत हमला के जबाब, मुँहतोड़ कऽ ओक्कर॥27॥
काप्यक नौबलाध्यक्ष के, गुप्त सुचना मिल गेल।
राघोपुर-चेचर बीच, नइआ पुल बन गेल॥28॥
अर्थ सचिव भद्रिय कएलन इ, अनाज के इन्तजाम।
सैकड़ो इण्डा खुनाएल, बच्चल न कोनो काम॥29॥
विदेश सचिव नागसेन बज्जी संघ के हतन।
नीति-अनीति पर हरदम, ओहो नजर रखतन॥30॥