Last modified on 2 अगस्त 2016, at 01:09

आ गहबर निऽ रमान आइ देवता / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आ गहबर निऽ रमान आइ देवता
कऽ देलकै महिसौथामे
गहबर निर्माण देवता
कऽ देलकै महिसौथामे
आब कमल तऽ दह से
आब कमल दह से उत्पैन भेल छै
श्री सतबरता के
कमलदह से उत्पैन भेल छै
श्री सतबरता के नै हयऽऽ।