भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

एलेक्ट्रिक गर्ल / रामानुग्रह झा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

भारतक एकटा बुढ़वा जादूगर
अनने छल विश्वक मेलामे
सबकें देखएबाक हेतु फ्री
एकटा एलेक्ट्रिक गर्ल
‘लोकतन्त्रामक’ मंत्रदृष्टा
लाठीसँ फोड़ि कपार
नादिरशाह आ हिटलरकें
गाड़ि देने छल अहिंसाक कब्र तार।
मुदा ‘सम्पूर्ण प्रभुत्व-सम्पन्न’ लोक
उठा देलनि फ्री पास,
आ लागू भेल अछि आब
एलेक्ट्रिक गर्लक देखबा लए चमत्कार
केवल हाइ रेट आ स्टुडेन्ट्स कन्सेशन मात्र।
अपूर्व अछि लागल मेला
लोक सभक ठेलम-ठेला
भरि रातिमे तीन बेरी, तीन शो
तीन खेप बनैत अछि भरि राति
योजना, बजट आ सरकार
सब क्यो चानी काटि रहल अछि
धन्य हे बुढ़बा जादूगर
केहेन अनलह तों एलेक्ट्रिक गर्ल !