मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
कमल कर गहि कमलवर्णी, कमल कोर बिच शोभिता
सिंह उपर एक कमल राजित, ताहि ऊपर भगवती
दाँत खटखट, जीह लह, सोने दाँत मढ़ाबिती
असुर धय धय, खप्परि भरि भरि, शोणित पिबति माँ कालिका
हेमन्त पति के इहो निवारण, नाम थिक देवी कुमारिका