Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:10

कहिया धरि / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


हमरा
एकटा घर अछि
जाहिमे
बाबा-बाबी
बाबू-माय
भाय-बहिन
बेटा-बेटी
सभ केओ अछि
मुदा,
घरनीक नहि रहने
हमर मोनक बस्तीमे पसरल अछि
चुप्पी
उदासी
आ मसानक साम्राज्य।

नहि जानि कहिया धरि
पसरल रहत ई
मरघट जकाँ।