भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

किछु प्रश्न / गंग नहौन / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज



बेर-बेर
टहकैत अछि माथ
घुरिआइत अछि
किछु प्रश्न।

किएक होइत छैक?
बुचियाक संग बलात्कार
कनियाँक संग करैत अछि किछु लोक
रंडी सन व्यवहार
किएक जनमैत अछि इमराना
दिन-राति
किएक करैत अछि आत्महत्या
कर्जमे डूबल किसान
किएक देखबैत अदि आतंकवादी
एत्तेक दुस्साहस।

किएक अधिआएल अछि
समलैंगिताक फैशन
बिकाइत अछि
ब्लू-फिलमक कैसेट-सी.डी.
बढ़ैत अछि
देहक दलाल
भऽ रहल छथि मीरा
सभठाम हलाल।

जनमि नहि सकलाह बुद्ध
एक बेर फेर
किएक ने बनल ताजमहल
बेर-बेर।