भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कीर्त्तन बजइए अनघोल, यो अहाँ ब्राह्मण बाबू / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

कीर्त्तन बजइए अनघोल, यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
लाले ओ धोतिया ब्राह्मण लाले तौनिया
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
सेहो लए अहाँ के पहिरायब
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
लाले खरमुआ ब्राह्मण लाले जनउआ
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
सेहो लए अहाँ के पहिरायब
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
लाले मधुर ब्राह्मण लाल पुष्पहार
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
अहींके भोग लगायब, यो अहाँ ब्राह्मण बाबू