भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कोना / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

बिनु छंद लयक गीत कोना
छोह -विरह बिनु प्रीत कोना
बिनु बिम्ब शिल्पक गद्य कोना
बिनु भाव विचारक पद्य कोना
बिनु ठाढि-वितानक पात कोना
अचल जैव बिनु बसात कोना
बिनु संतति सिनेहक तात कोना
आँचर बिनु मातृ गात कोना
बिनु वृक्ष - वायु बरसात कोना
उदित अरुण बिनु प्रात कोना
बिनु आत्म वरणक कंत कोना
कोमल उर बिनु रसवंत कोना
बिनु दानभाव धनवंत कोना
अपरिग्रह-सत बिनु संत कोना
बिनु शीलचरित गुणवंत कोना
अदृश्य भेद बिनु अनंत कोना
बिनु सम अर्चिसक रवि कोना
दिव्यदृष्टि बिनु कवि कोना
बिनु ब्रह्म तपक छात्र कोना
सदाचार बिनु सतपात्र कोना
बिनु विरह आकुल छोह कोना
ममता भंजन बिनु मोह कोना
बिनु दर्शकक नाटक कोना
कुटिल बाट बिनु टाटक कोना
बिनु स्वरसाध्यक व्यंजन कोना
दारुण दुःख बिनु रंजन कोना
बिनु दर्शन अभिव्यंजन कोना
भावक बिनु सुधिप्रभंजन कोना
बिनु सचेष्ट दलक बल कोना
स्वच्छ नीर बिनु निर्मल कोना
बिनु सूत तारक गाँथल कोना
चन्द्र बिनु अर्णव कलकल कोना
बिनु ग्राह्य गुणक प्रांजल कोना
पानि बिनु मीन छलमल कोना
बिनु एकाधिक परतर कोना
एक बिनु आन- दोसर कोना
बिनु समूह वास जीवन कोना
एकांत विचार बिनु चिंतन कोना