Last modified on 1 जुलाई 2014, at 20:48

कोने कएल जादू टोनमा हो रामा / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

कोने कएल जादू टोनमा हो रामा
राम गेला बनमा
धन्य राजा दशरथ धन्य रानी केकयी
धन्य ओ कोपभवनमा हो रामा
राम गेला बनमा
राम लखन सिया वन कऽ सिधारल
दशरथ त्यागल परनमा हो रामा
राम गेला बनमा
मातु कौशिल्या करुण करहु नहि
सौतिनि भेली बैरिनिया हो रामा
राम गेला बनमा
तुलसीदास प्रभु तुम्हरे दरस के
सौतिनि कोपभवनमा हो रामा
राम गेला बनमा
कौने कएल जादू टोनमा हो रामा
राम गेला बनमा