मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
कोन गली मे आजन-बाजन कोन गली शहनाइ
कोन भइया घर बेटा जनम लेल नन्दो मांगे बधाइ
हे नकबेसर लेती गढ़ाइ हे टीका लेती गढ़ाइ
पूब गलीमे आजन-बाजन पछिम गली शहनाइ
बड़का भैया घर बेटा जनम लेल ननदो मांगे बधाइ
जौं हम जनितौं ननदो औती जंगल पैसि बिअइतौं
आद-गूड़ एको नहि खइतौं झाड़ि हम बेटी बिअइतौं
हे नकबेसर लेती गढ़ाइ हे टीका लेती गढ़ाइ