भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
कोन मास बिरहा जनम लेलकै रओ जोड़ीदार / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
कोन मास बिरहा जनम लेलकै रओ जोड़ीदार
कि कोन मास भेलै छठिहार
कोन महीना परेमियां डेगा-डेगी देलकै, रओ की
कोन मास भेलै परचार?
अगहन मास परेमियां बिरहा रओ जनम लेलकै
पूस मास भेलै छठिहार
माघ महिना परेमियां डेगा-डेगी देलकै, रओ की
फागुन मास भेलै परचार।