Last modified on 27 अक्टूबर 2019, at 00:49

क्यो एकरा दियौक नहि टोक / बाबा बैद्यनाथ झा

क्यो एकरा दियौक नहि टोक
ई अछि बहिरा ओ अछि बौक

ई नाचै अछि अपने तालेँ
चढ़लापर कखनो कऽ झोंक

अपनहि टा हित ई बूझै अछि
अपनहि दुनियाँ अपनहि लोक

बेचि रहल ईमान-धरम ई
कखनो खुदरा कखनो थोक

चूसय ई भारतमाता केँ
ज्यों शोणितकेँ चूसय जोंक

सत्य-अहिंसा केर प्रेमीकेँ
देखा रहल बन्दूकक नोक

देस रहय अथवा ई डूबय
एकरा हर्ष ने आ किछु शोक

भऽ निराश ताकै छथि ‘बाबा’
भेटय नहि किन्नहु आलोक