भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

गजेन्द्र ठाकुर / परिचय

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

गजेन्द्र ठाकुर

पिता-स्वर्गीय कृपानन्द ठाकुर

माता-श्रीमती लक्ष्मी ठाकुर

जन्म-स्थान-भागलपुर ३० मार्च १९७१ ई.

मूल-गाम-मेंहथ, भाया-झंझारपुर,

जिला-मधुबनी (बिहार)।

शिक्षा: एम.बी.ए. (फाइनेन्स), सी.आइ.सी., सी.एल.डी., कोविद।

लेखन: कुरुक्षेत्रम् अन्तर्मनक सात खण्ड- खण्ड-१ प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना, खण्ड-२ उपन्यास-(सहस्रबाढ़नि), खण्ड-३ पद्य-

संग्रह-(सहस्त्राब्दीक चौपड़पर), खण्ड-४ कथा-गल्प संग्रह (गल्प गुच्छ), खण्ड-५ नाटक-(संकर्षण), खण्ड-६ महाकाव्य- (१. त्वञ्चाहञ्च आ २. असञ्जाति मन ), खण्ड-७ बालमंडली किशोर-जगत। Learn International Phonetic Alphabet through_Mithilakshara, Learn MithilakShara, Learn Braille through Mithilakshara. दोसर उपन्यास स॒हस्र॑ शीर्षा॒ । मैथिली-अंग्रेजी आ अंग्रेजी-मैथिली शब्दकोषक ऑन लाइन आ प्रिंट संस्करणक सम्मिलित रूपेँ निर्माण। पञ्जी-प्रबन्धक सम्मिलित रूपेँ लेखन-शोध-सम्पादन आ मिथिलाक्षरसँ देवनागरी लिप्यंतरण "जीनोम मैपिंग (४५० ए.डी. सँ २००९ ए.डी.)-मिथिलाक पञ्जी प्रबन्ध" नामसँ, जकर दोसर खण्ड जीनियोलोजिकल मैपिंग -मिथिलाक पञ्जी प्रबन्ध भाग-२। जगदीश प्रसाद मण्डल (बायोग्राफी)।

मैथिलीसँ अंग्रेजीमे कएक टा कथा-कविताक अनुवाद आ कन्नड़, तेलुगु, गुजराती आ ओड़ियासँ अंग्रेजीक माध्यमसँ कएक टा कथा-कविताक मैथिलीमे अनुवाद। उपन्यास (सहस्रबाढ़नि) क अनुवाद अंग्रेजी, कोंकणी, कन्नड़ , संस्कृत, मराठी आ तुलुमे। संगहि ऐ उपन्यास सहस्रबाढ़निक मूल मैथिलीक ब्रेल संस्करण (मैथिलीक पहिल ब्रेल पुस्तक) सेहो उपलब्ध अछि। कथा-संग्रह(गल्प-गुच्छ) क अनुवाद संस्कृतमे। पद्य-संग्रह-(सहस्त्राब्दीक चौपड़पर) क अनुवाद अंग्रेजीमे। उपन्यास स॒हस्र॑ शीर्षा॒ क अनुवाद आ अपन किछु कथाक अनुवाद लेखक स्वयं अंग्रेजीमे कऽ रहल छथि। अंतर्जाल लेल तिरहुता आ कैथी यूनीकोडक विकासमे योगदान आ मैथिलीभाषामे अंतर्जाल आ संगणकक शब्दावलीक विकास, मैथिली विकीपीडियाक स्थापक। गूगल मैथिली ट्रान्सलेटमे योगदान। संस्कृत वीथी नाटकक निर्देशन आ ओइमे अभिनय।

सम्पादन: अन्तर्जालपर विदेह ई-पत्रिका “विदेह” ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/

ISSN 2229-547X क सम्पादक जे आब प्रिंटमे (देवनागरी आ तिरहुतामे) सेहो मैथिली साहित्य आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि-

विदेह: सदेह:१:२:३:४ (देवनागरी आ तिरहुता) प्रकाशित।

विशेष: अन्तर-महाविद्यालय क्रिकेट प्रतियोगितामे "मैन ऑफ द सीरीज" (1991), सम्प्रति अमेच्योर गोल्फर।

ई-पत्र संकेत- ggajendra@videha.com