Last modified on 1 जुलाई 2014, at 22:04

चलही सोनपुर के मेला गे छिनरो / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

चलही सोनपुर के मेला गे छिनरो
चलही सोनपुर के मेला
चुड़ी पहिरेलकौ, लहठी पहिरेलकौ
धर बहियाँ झिकझोरा गे छिनरो
चलही सोनपुर के मेला
छेना खुओलकौ, रसगुल्ला खुओलकौ
तरो सऽ रस चुओलकौ गे छिनरो
चलही सोनपुर के मेला
केरा खुओलकौ पेरा खुओलकौ
ऊपर सँ केरा धकेला गे छिनरो
चलही सोनपुर के मेला