Last modified on 22 सितम्बर 2013, at 11:18

चलु चलु सखी जनक किसोरी भवनमा हे / मैथिली

   ♦   रचनाकार: अज्ञात

चलु चलु चलु सखी जनक किसोरी भवनमा हे,
सिता सँग ब्याही लएला दशरथ ललनमा हे

भरत, सत्रुघन छथिन सङे लक्ष्मण भैया हे
उटपर नगरा बाजे घण्टा घरैया हे
सिता सँग ब्याही लएला दशरथ ललनमा हे

माथे पर मौरी सोभे लिलरा चन्द्रमा हे
बड निक लगै छै हाथ मे कङ्गनमा हे
सिता सँग ब्याही लएला दशरथ ललनमा हे

गोरे रंग सिता छथिन श्यामल पहुनमा हे
आनन्द बधैया बाजे जनक भवनमा हे
सिता सँग ब्याही लएला दशरथ ललनमा हे